NEWS & EVENTS

Home / NEWS & EVENTS
आगामी कार्यक्रमक सूचना :-

मिथिलांगन एहि वर्ष एकटा बहुप्रतीक्षित काज कर’ जा रहल अछि। १९९३ क अगस्त मास मे LTG आर्ट गैलरी मे मिथिलाक कलाक (The Art of Mithila ) अभूतपूर्व प्रदर्शनिक आयोजन “मिथिलांगन” द्वारा कयल गेल छल। एहि बेर पुनः “मणिपद्मजीक” जयंतिक अवसर पर 8 आ 9 सितम्बर 2012 क’ दिल्लीक मुक्तधारा आर्ट गैलरी मे मिथिलाक चित्रकलाक प्रदर्शनिक आयोजन कयल जा रहल अछि। जाहि मे नवोदित कलाकार सब के विशेष महत्वक संग हुनक चित्रकलाक प्रदर्शनी लागत । यदि अपने एहि कला मे रूचि राखैत छी त’ 01 .08 .2012 तक मिथिलांगन कार्यालय स’ संपर्क क’ सकैत छी। मणिपद्म जयंती 2012 क अवसर पर कार्यक्रमक समापन 9 सितम्बर क’ ” मैथिली कवि गोष्ठीक आयोजन” स’ होयत ।

एहि अवसर पर एकटा स्मारिका सेहो प्रकाशित भ’ रहल अछि जाहि मे दिल्ली आ NCR मे रहनिहार मैथिलजन के नाम, पता, टेलीफ़ोन न. क संग डायरेक्टरी सेहो उपलब्ध रहत। अपने स विशेष आग्रह जे अपन नाम सहित अपन अरिजन – परिजनक पूर्ण विवरण यथाशीघ्र मिथिलांगन कार्यालय मे अवश्य पठा दी, जाहि सँ समय पर स्मारिका प्रकाशित भ’ सकय।

अभय कुमार लाल दास
सचिव – मिथिलांगन

cont1

home-hostel

Contact Us

We're not around right now. But you can send us an email and we'll get back to you, asap.